ठाकुरद्वारा मधेश प्रदेश सभा सदस्य पदके शपथ ग्रहण

शेयर गर्नुहोस् 0 Shares

महेन्द्रनगर (धनुषा), ४ जेठः राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी (राप्रपा) नेपालक समावेशी समूहअन्तर्गत मधेशी समूहमे नियुक्त महोत्तरीक गौशाला नगरपालिका–१२ के सरिता कुमारी ठाकुर प्रदेश सभा पदके शपथ ग्रहण केलैन अइछ ।

निर्वाचन आयोगक बितल वैशाख ३० गतेके निर्णयअनुसार राप्रपा नेपाल समावेशी समूहअन्तर्गत मधेशी समूहदिस रिक्त प्रदेश सभा सदस्य पदमे ठाकुरकेँ नियुक्त कएने छल ।

प्रदेश सभा सदस्य निर्वाचन ऐन, २०७४ के दफा ७५ (१) बमोजिम मधेश प्रदेश सभा सदस्यमे निर्वाचित ठाकुरकेँ आइ मधेश प्रदेशक सभामुख रामअशिष यादव पद तथा गोपनीयताके शपथ करौलैन ।

जनकपुरधामस्थित प्रदेश सभा सचिवालयमे आयोजित कार्यक्रममे नवनिर्वाचित प्रदेश सभा सदस्य ठाकुर संविधान आ कानुनप्रति प्रतिबद्ध रहैत जनताके सेवा तथा प्रदेशक समृद्धिके लेल इमान्दारितापूर्वक काज करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । नवनिर्वाचित प्रदेश सभा सदस्य ठाकुर मधेश प्रदेशक विकास, सुशासन तथा जनताके हकहित संरक्षणक लेल प्रभावकारी भूमिका निर्वाह करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।

ट्यागहरू: Main Heading One Two मैथिली

खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?

प्रतिक्रिया दिनुहोस्