स्वास्थ्य बीमा बोर्डके निमित्त कार्यकारी निर्देशकमे पौडेल

शेयर गर्नुहोस् 0 Shares

काठमाण्डू, ८ माघः स्वास्थ्य बीमा बोर्डके निमित्त कार्यकारी निर्देशकमे डा. कृष्ण पौडेलकेँ नियुक्त कएल गेल अइछ । स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालयके प्रवक्ता डा. प्रकाश बुढाथोकी बोर्डके नेतृत्व रिक्त भेलाक कारण मन्त्रालयके सहसचिव पौडेलेकेँ निमित्त कार्यकारी निर्देशकके जिमेवारी देल गेल बतौलैन ।

“बीमा बोर्ड जेहन महत्त्वपूर्ण ठाममे प्रमुख पद खाली नै राइख सकैत छी । तइ, मन्त्रालयके सहसचिव पौडेलकेँ किछ समयके लेल निमित्त कार्यकारी निर्देशकके जिमेवारी प्रदान कएल गेल छै,” ओ कहलैन । कार्यकारी निर्देशक डा. रघुराम काफ्ले बितल रैबदिन राजीनामा देने छलैन ।

निमित्त कार्यकारी निर्देशक पौडेल मन्त्रालयके नीति, योजना तथा अनुगमन महाशाखा प्रमुख छैथ । मन्त्रालयके प्रवक्ता डा. बुढाथोकीके कहब अनुसार हुनका बोर्ड आ नीति तथा योजना महाशाखा दूनु सम्हारैजका जिमेवारी देल गेल छैन ।
(रासस)

खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?

प्रतिक्रिया दिनुहोस्