स्व सिंहके हत्याक आओर गहिर आ निष्पक्ष अनुसन्धान आवश्यकः कार्यकारी अध्यक्ष झा

शेयर गर्नुहोस् 0 Shares

काठमाण्डू, २८ पुसः राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)के कार्यकारी अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा स्वर्गीय सहिद पत्रकार उमा सिंहके हत्याक विषयमे आओर गहिर आ निष्पक्ष अनुसन्धान आवश्यक रहल बतौलैन । अखनधैर कएल गेल अनुसन्धान आ प्रस्तुत कएल गेल कारणप्रति हम सन्तुष्ट नै छी से ओ स्पष्ट उल्लेख केलैन ।

सिंहके हत्या प्रेस स्वतन्त्रता आ पत्रकार सुरक्षासँ प्रत्यक्ष जुड़ल गम्भीर विषय भेल अध्यक्ष झा उल्लेख केलैन । ओ कहलैन, “हम स्वर्गीय पत्रकार सिंहके हत्याके बारेमे कएल गेल अनुसन्धानप्रति सन्तुष्ट नै छी । जे कारण देखा क हत्या कएल गेल कहल गेल छै ओईसँ अखनो सन्तुष्ट नै छी । सिंहके हत्या पारिवारिक विवादक कारण मात्रे भेल निष्कर्ष एकपक्षीय छै । सिंहद्वारा पत्रकारितामार्फत उठाएल गेल विषयवस्तु, लेख तथा सामग्रीसभ सेहो हत्याके सम्भावित कारण भ सकैत छै ।”

यदि पारिवारिक कारणसँ मात्रे हत्या भेल छै, तँ ओ विषय अनुसन्धानसँ आओर स्पष्ट होबाक चाही से हमर धारणा रहल अध्यक्ष झा बतौलैन । ओ कहलैन, “उमा सिंहके हत्यासँ सम्बन्धित एक गोटे व्यक्ति फरार भ धनगढी गेल आ ओइ ठामसँ गिरफ्तार क आनल गेल विषय सेहो छै । अइ सब पक्षकेँ समैट क फेरसँ अध्ययन करबाक आवश्यक छै । सिंहके हत्या होबएसँ किछ महिना पहिनेसँ ओ लिखने समाचार सामग्री आ उठौने मुद्दासभक सेहो गहिर विश्लेषण होबाक चाही । यी विषयसभ प्रेस स्वतन्त्रताके दृष्टिकोणसँ अत्यन्त महत्वपूर्ण छै ।”

स्व. वीरेन्द्र साहलगायत अन्य पत्रकारक हत्याके कारण बारेमे सेहो आओर अनुसन्धान, अध्ययन आ खोजी करबाक लेल आग्रह करैत ओ सत्यतथ्य उजागर केनाइ पत्रकारिताके धर्म भेलासँ अइ विषयमे निरन्तर प्रश्न उठेबाक आवश्यक रहल बतौलैन ।

(रासस)

खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?

प्रतिक्रिया दिनुहोस्