एसइईके नतिजा सार्वजनिकः ६५ दशमलव ९८ प्रतिशत विद्यार्थी उत्तीर्ण

शेयर गर्नुहोस् 0 Shares

भक्तपुर, २९ वैशाखः राष्ट्रिय परीक्षा बोर्ड अइ सालके (२०८२) माध्यमिक शिक्षा परीक्षा (एसइई) के नतिजा सार्वजनिक केलक अइछ । सरकार वैशाख २९ गतेधैर नतिजा सार्वजनिक करबाक समयसीमा देलाक बाद बोर्ड आइ राइत ९ः१५ नतिजा सार्वजनिक केलक अइछ ।

परीक्षा नियन्त्रण कार्यालय सानोठिमीमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे एसइई परीक्षामे ६५ दशमलव ९८ प्रतिशत विद्यार्थी उत्तीर्ण भेल शिक्षा सचिव चुडामणि पौडेल जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार परीक्षामे दू लाख ८४ हजार एक सओ ६० गोटे विद्यार्थी ग्रेडेड भेल आ एक लाख ४६ हजार ५ सओ ७ परीक्षार्थी नन ग्रेडेड भेल अइछ ।

अइ बेर एसइईमे दू लाख ५७ हजार ५ सओ २७ छात्रा आ दू लाख ५२ हजार ४ सओ ३४ छात्र परीक्षाके आवेदन देने छल, जइमे चाइर लाख ३० हजार ६ सओ ६७ गोटे परीक्षामे सहभागी भेल शिक्षा सचिव पौडेल जानकारी देलैन । सार्वजनिक नतिजाअनुसार ४८ हजार ३ सओ ९२ परीक्षार्थी सबसँ उच्च जिपिए अर्थात् तीन दशमलव ६० सँ चाइर हासिल कएने अइछ, तँ ८० हजार ३ सओ ७२ गोटे तीन दशमलव २० सँ तीन दशमलव ६० जिपिए हासिल कएने अइछ ।

तहिना, ९४ हजार २ सओ २२ गोटे दू दशमलव ८० सँ तीन दशमलव २० जिपिए, ५५ हजार ९ सओ ७७ गोटे दू दशमलव ४० सँ दू दशमलव ८० जिपीए, पाँच हजार एक सओ ९० गोटे दूसँ दू दशमलव ४० जिपिए आ सात गोटे एक दशमलव ६० सँ दू जिपिए हासिल कएने शिक्षा सचिव पौडेल जानकारी देलैन ।

हुनक कहब अनुसार ननग्रेडेड (एनजी) प्राप्त करैबला विद्यार्थीसभकेँ पुनःग्रेड वृद्धि परीक्षा देबए पड़त । दू विषयधैर एनजी हासिल करैबला विद्यार्थीके लेल तत्कालै ग्रेड वृद्धि परीक्षा सञ्चालन कएल जाएत कहैत ओ ओइसँ बेसी विषयमे एनजी हासिल करैबला विद्यार्थीसभक लेल दोसर सालके नियमित परीक्षामे सहभागी होबाक व्यवस्था कएल बतौलैन ।

अइ साल एक महिनामे नतिजा सार्वजनिक करबाक शिक्षा मन्त्रालयके निर्देशनक बाद बोर्ड परीक्षा केन्द्रमे उत्तरपुस्तिका परीक्षण करौने छल । वैशाख ५ गतेधैर देशभैरसँ उत्तरपुस्तिका बोर्डके कार्यालयमे सङ्कलन क नतिजा अध्यावधिक करबाक, कम्प्युटरमे प्रविष्ट करबाक काज सुरु कएल गेल छल । बितल साल एसईईके नतिजा अखार १३ गते सार्वजनिक कएल गेल छल ।

खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?

प्रतिक्रिया दिनुहोस्